

नगराइन नगरपालिका-६, लगमा निवासी महेंद्र झा जीक ६६ वर्षक उमेर में विगत ८गते बृहस्पतिक दिन ५.४५भोर में निधन भगेलैन,हुनकर एकादसा आइ आ द्वादशा अन्तिम कार्य काइल रहल अछि। पिता स्व.जय कृष्ण झाक जेष्ठ पुत्र
महेंद्र झा जी भोगेन्र्द झा,सोलेन्र्द झा,नविन्र्द झा चाइर भाई छलैथ । हुनक दु पुत्र दिलिप कुमार झा,बबलु झा छथि आ पौत्र सुजन कुमार झा, सौरभ कुमार झा,सुलभ कुमार झा पौत्री सेर्या कुमारी झा रहल अछि । समाजसेवीक रुपमे परिचित स्व.झा जीक मृत्यु सं सम्पूर्ण लगमा आ नगराइन निवासी दु:खित भेल छथि। हुनक आत्माक चिर शान्ति हेतु श्री किशोरी जी सं प्रार्थना करैत छी ।